Last modified on 8 अगस्त 2016, at 05:41

सीयारामे राम हौ नारायण / मैथिली लोकगीत

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 05:41, 8 अगस्त 2016 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=सलहे...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सीयारामे राम हौ नारायण
हौ सुमिरन करै छी
सीयाराम राम के सुमिरन करै छी हौ
दुरगा देवी असामरी तोरा कहै छी
दिल के वार्त्ता आ सभा लागल तीसीपुरमे
मुनीसिंहमे मंशी दरोगा ड्योढ़ीमे बैठल
आ तहि के असरमे अन्हेरबाट तीसीपुरमे जुमि गेलै यौऽऽ।
हौ तीसीपुरमे अन्हेरबाट जुमैय
घाट लगा के हौ देवता बोलैय
आ छौड़ा पलटनियाँ ड्योढ़ी पर जुमलै खड़े पहरा करैय
हा घाट लगा के पलटनियाँ बोलै छै
सुनऽ सुनऽ हौ राजा दरबी
कहाँ रहै छह कहाँ बसै छह
किया लऽ कऽ तीसीपुरमे आ
तकरो हलतिया जल्दी हमरा बोलि दीयौ यौऽऽ।