Last modified on 5 मार्च 2017, at 14:18

भ' रहल आरम्भ / शारदा झा

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 14:18, 5 मार्च 2017 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शारदा झा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMaithiliR...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

भेटल नबका दिन
पोखरिक भीर पर
भीजल दूबि सँ
रतुका हाल चाल पुछैत
घाट पर ठाढ़ भेल,
सोन सन हिलकोरक आनंद लैत
रक्ताभ केने अकास कपोल
भास्करक प्रतीक्षा मे
कउआ, मेना, बगरा, कोइली
संग दैत गाछ-बिरिछ केँ
फसौने अछि पुरबा के केश
नै सोझराब' द' रहल छै
बँस्बिट्टी में ओझरायल
ओकर नबका हरियर फीता
आ सौंसे टोल उधियेने छै बसात
छोराब' लेल अपन जुट्टी
चार पर लटकल कदीमा
बारीक कोन्टा पर फुलैल अड़हुल आ कनैल
मजरल आम आ कटहरक मोंछ सब
केने अछि श्रृंगार अइ भोरक
आ कोनो दोसर टोल सँ आबि रहल
समदाउनक ध्वनि
क' रहल अछि आश्वश्त
कतहु न'ब जीवनक
भ' रहल छै आरम्भ
शुभे हे शुभे!