Last modified on 25 मई 2017, at 18:01

गौरी बनलि जोगिनियाँ / कालीकान्त झा ‘बूच’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:01, 25 मई 2017 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

रूसल पिआक गौरी बनलि जोगिनिया
पुनि हर बरब बनव कनियाँ...
सती विरह शिव मरूघट सेवल,
कयल भस्म अन्वेषण केवल,
बनि- बनि लावण्यक नोनिया...
पर्ण सलिल खासो पुनि त्यागलि,
युग-युग पिय तप मे लय लागलि
भागलि योगेशक निनियाँ...
पुरबिल प्रीत रहल नहिं झाॅपल
भेल प्रतीति सकल तन काॅपल
बहल नैन प्रेमक पनियाँ...
गौलक स्वर्ग तलातल नाॅचल
उमा अमिय महिमा नम बाँचल,
जय हे कैलाशक रनियाँ...