Last modified on 25 अप्रैल 2018, at 12:27

कखन हरब दुःख मोर हे भोलानाथ / विद्यापति

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 12:27, 25 अप्रैल 2018 का अवतरण

कखन हरब दुःख मोर हे भोलानाथ।
दुखहि जनम भेल दुखहि गमाओल
सुख सपनहु नहि भेल हे भोला ।
एहि भव सागर थाह कतहु नहि
भैरव धरु करुआर ;हे भोलानाथ ।
भन विद्यापति मोर भोलानाथ गति
देहु अभय बर मोहि, हे भोलानाथ।