Last modified on 17 दिसम्बर 2018, at 15:56

मोहि लेलिखिन सजनी मोरा मनवा / मैथिली लोकगीत

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 15:56, 17 दिसम्बर 2018 का अवतरण (Sharda suman ने मोहि लेलिखिन सजनी मोरा / मैथिली लोकगीत पृष्ठ [[मोहि लेलिखिन सजनी मोरा मनवा / मैथिली लोकग...)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

मोहि लेलिखिन सजनी मोरा मनवा पहुनमा राघो (2)

हे हो पहुनमा राघो हे सिया के सजनमा राघो
राजा दशरथ के दुलरुआ पहुनमा राघो
मोहि लेलिखिन सजनी मोरा मनवा पहुनमा राघो (2)

अँखियाँ में कारी काजल होठवा में पानक लाली (2)
लाले लाल सिर पर हई पगड़िया हे पहुनमा राघो
मोहि लेलिखिन सजनी मोरा मनवा पहुनमा राघो (2)

चलू चलू परिछन सखी हे दूल्हा चुमावन सखि हे (2)
चमचम चमके के हे मऊरिया हे पहुनमा राघो
मोहि लेलिखिन सजनी मोरा मनवा पहुनमा राघो (2)