भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

क्षमा याचना / कुलानन्द मिश्र

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हमरा मोनक निभृत एकान्त मे
गुलाब-सन सुन्नर सुकुमार
एकटा फूल फुला क'
ठोढ़ भरि बिहुँसैत अछि
जी भरि रभसैत अछि
हमर डेरायल इच्छा अछि
जे ओ फूल
हम अहाँक कमनीयता केँ
आवेशपूर्वक अर्पित करी
अहाँ केँ
मात्र स्वीकार करबाक कष्ट उठाब' पड़त
एहि लेल क्षमा-याचना संगहि निवेदित अछि।