भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

पोथी / एस. मनोज

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

पोथी होय अछि ज्ञानक घर
एकरा पढने भागय डर
पोथी जोडै नेहक डोर
तिमिर मेटाबय आनै भोर
पोथी के अछि विविध प्रकार
ज्ञान विज्ञानक ई भंडार
पोथी बतबै बीतल बात
कखन कतय कयल आघात
पोथी दै अछि दिव्य प्रकाश
ई पुरबै अछि सबहक आश
पोथी खोलय मर्मक भेद
बनब विज्ञ त रहत न खेद