भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

फागक रंग / एस. मनोज

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

आबू सभ मिलि खेलू फाग
रहै न मनमे कनिको दाग।

सलमा क' संग राधा खेलै
पीटर संग कन्हैया
फागक रंग चढ़ै सभ पर त'
नाचै ता ता थैया

मिलि-जुलि सभ रंग लगाबै
संग जोगीरा गाबै
ऊँच नीच क' भेदभाव क'
सभ मिलि दूर भगाबै

रंग अबीरक बरखा होय आ
सभ मिलि खूब नहाबै
प्रीतक रंग चढ़ै सभ पर त'
सबहक मन हरखाबै

अछि सनेश ई नबका युगकेँ
जीवन सफल बनाबी
बैरभाव सभ भूलि बिसरि क'
रंगक पर्व मनाबी।