भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हितोपदेश / राजकमल चौधरी

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

रातिखन भोजन काल कहलनि सतमाय
बाउ, बहराउ कविताक कोहबरसँ
नौकरी-चाकरीक करू उपाय
अहाँ एकसरे नइँ छी
एकटा कन्याक हाथ छिअइ धएने
नइँ चलत काज
कालिदास बाणभट्ट विद्यापति कएने
विक्रमादित्य, श्रीहर्ष, लखिमा ठकुराइनसभ भए जाथु स्वाहा
जाइ छी, फोलब पान-बीड़ीक दोकान दरभंगा टावर-चौराह