Last modified on 11 अप्रैल 2013, at 14:34

जमुना किनारे कदम गाछं आ आरो कदम गाछं रे / मैथिली

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 14:34, 11 अप्रैल 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |रचनाकार=अज्ञात }} {{KKLokGeetBhaashaSoochi |भाषा=मैथिली }} <...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

   ♦   रचनाकार: अज्ञात

जमुना किनारे कदम गाछं आ आरो कदम गाछं रे
ललना रे ताही तर कृष्ण मुरारी गेन्द खेल्थिन रे
गेन्द खेलैत कृष्ण चुकल आ यारो चुकी गेल रे
गेन्द खस्ल जमुना धार कि कृष्ण उल्टी ताक्थिन रे
जानु कृष्ण जाही जमुना धार आ आरो जमुना दह रे
ललना रे ओही ठाम नाग नगिनिया कि तोहे डसी खायत रे
नवकुश लय नाग नाथब फुलसेस जायब रे
ललना रे ताही चढि उतरब पार कि गोकुला बसायब रे
जमुना किनारे कदम गाछं आ आरो कदम गाछं रे
ललना रे ताही तर कृष्ण गेन्द खेल्थिन मुरली बजवथिन रे