Last modified on 8 जून 2016, at 02:43

तीत लागि गेल / रामदेव भावुक

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:43, 8 जून 2016 का अवतरण

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मगही माधक पान कुम्हलैलौं अहां, कोना शीत लागि गेल
किछु मालूम अहां के नै हमरा पता, कोना प्रीत लागि गेल

उगल सोना सन सोना सुरुज डूबि गेल
छुपल चानी सन चान सोना मोन ऊबि गेल
आसक नैना बिछैलौं नै एलौं अहाँ
टुटल तारा कि हीरा के हार टूटि गेल

हम देखलौं अहाँ के नै हमरा अहां, कोना मीत लागि गेल

शीतल चन्दन सन शीत बहल शीतल बतास
फूल तुलसी तुलसीचौरा के सूखल पलास
प्राण जीवन कि जीवन अहां के बिना
तन के सूना महल मन के अंगना उदास

शहदो सें मीठ सोना कोइली के बोल, कोना तीत लागि गेल

काया कंचन सन दीप प्राण बातौ देलौं
करुण करुणा के तेल ज्ञान जोती देलौं
सोना युग-युग तरसौलां पियासल अहां
बुन्द भरि ने अहां स्नेह-स्वाती देलौं

उर मे विरहा वियोग ने जगैलौं अहां, कोना गीत जागि गेल