भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
"मुदित लेलनि दहि चीनी / मैथिली लोकगीत" के अवतरणों में अंतर
Kavita Kosh से
Mani Gupta (चर्चा | योगदान) ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह= बिय...' के साथ नया पन्ना बनाया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
15:55, 1 जुलाई 2014 के समय का अवतरण
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
मुदित लेलनि दहि चीनी
करू मधुपर्क ललन जी
भेटल फरके एकर गिन्नी
करू मधुपर्क ललन जी
फेरो ने आओत ई दिन कहियो
सासुर मे करू मधुपर्क
करू मधुपर्क ललन जी
माय अहाँक दूध कहियो ने पौरथि
मिथिला मे करू मधुपर्क
करू मधुपर्क ललन जी
सरहोजि सारि बीच मुसुकनि मनमा
जुनि करू लाज-विचार
करू मधुपर्क ललन जी