भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"शिव स्तुति / शिव कुमार झा 'टिल्लू'" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शिव कुमार झा 'टिल्लू' |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

18:12, 19 दिसम्बर 2015 के समय का अवतरण

कोन विधि आहे शिव करी हम पूजा
स्तुति मंत्रक नहि ज्ञान
नहि आचमनि लेल पित्तरक अरघा
नहि पूजाक समान....
बाड़ीक भांगक झाड़ी चरि क'
बसहा केलक निष्प्राण
शीतक मारल कनैल फुलल नहि
आकक पात मलान ...
फाटल पोथी मुसबा कतरल
कोना विद्यापति तान
लक्ष्मीनाथ गोसाँई कत' छथि
कत' गोविन्द रसखान ...
नरक निवारण कोना क' हेतै
नहि घृत आ ने कपूर
सुरभि अलोपित वरन कत' सँ
आँजुर भरल धथूर ...
अंतिम आश धरै छी बाबा
अहीँ सँ औढरदानी
आन रूपक संग पितर केँ बनबू
दीनक लेल संज्ञानी ...