भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"घुरऽ हे घूरऽ संगी ! मिथिलाक पूत तोंही !! / धीरेन्द्र" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=धीरेन्द्र |संग्रह=करूणा भरल ई गीत...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

03:21, 23 मई 2016 के समय का अवतरण

घुरऽ हे घूरऽ संगी ! मिथिलाक पूत तोंही !!
बजबै छ माए तोहर मिथिला !
दोसर भाषामे संगी गीत तोहर गमकइ
तोहर भूषामे संगी रूप तोहर चमकइ।
तोहर इजोत बले दुनियाँ उद्भासित।
घरमे पसरल अन्हार।
आबऽ-आबऽ हे संगी, नव-घर उठाबी।
सड़ल-साड़ल ई खोपड़ी खसाबी।
करीरे भवन तैयार।
सहसन न होइ छै माइकेर वेदन।
हिया के रे शालइ जननीक रोदनं
पुरूवमे देखऽ उगलइ सुरूजदेब,
पछिममे उगलइ चान।
सबतरि तोरे दीप्ति देखाइछ
दुनियाँ भेल उजयार।
कानि रहल अछि मनकेर कोइली
देखि-देखि ध्रुप्प अन्हार।
सुनऽ सुनऽ हे संगी।
मिथिलाक पूत तोंही।
कहबइ छ माए तोहर शिथिला।
हिचुकि-हिचुकिकें
कानिकें खीझिकें
बजबै छ माए तोहर मिथिला।