भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
"कतय हेरायल गाम यै / रूपम झा" के अवतरणों में अंतर
Kavita Kosh से
Rahul Shivay (चर्चा | योगदान) छो (Rahul Shivay ने मुकरियाँ / रूपम झा पृष्ठ कतस हेरायल गाम यै / रूपम झा पर स्थानांतरित किया) |
Rahul Shivay (चर्चा | योगदान) छो (Rahul Shivay ने कतस हेरायल गाम यै / रूपम झा पृष्ठ कतय हेरायल गाम यै / रूपम झा पर स्थानांतरित किया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
21:17, 9 मार्च 2018 का अवतरण
बिनु बाजल खिड़की सँ
खिल रौद आबै अछि
छुबि-छुबि देह गात
गुदगुदी लगाबै अछि
- - - - - - - - -
संग-संग पवन मंद
भरलक सुरभित सुगंध
नहि जनय बंद-बंध
फुसुर-फुसुर कान मे
मधुर गीत गाबै अछि
- - - - - - - -
गाछ-गाछ मंजर अछि
दृश्य कतेक सुन्दर अछि
चिडै अछि छोट-छोट
खूब पैघ अम्बर अछि
दाना चूनैक लेल, आँगन मे आबै छै
- - - - - - - - - -- - -
एतय ओतय जीवन अछि
साँस अछि धड़कन अछि
ई धरती मधुबन अछि
अय धरती पर प्राणी
स्वरगक सुख पाबै अछि।