भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
"हमरा सिखबैत / ककबा करैए प्रेम / निशाकर" के अवतरणों में अंतर
Kavita Kosh से
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
17:51, 12 सितम्बर 2018 के समय का अवतरण
हमरा
बाबी सिखबैत छथि ममता
बाबू सिखबैत छथि अनुशासन
माय सिखबैत छथि पोसब
पत्नी सिखबैत छथि जोगब।
फूल सिखबैत अछि फुलायब
अश्व सिखबैत अछि दौड़
नदी सिखबैत अछि वेग
सुरुज सिखबैत अछि वेग
चान सिखबैत अछि शीतलता
चिड़ै सिखबैत अछि उड़ान।