भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"हमरा लेल / ककबा करैए प्रेम / निशाकर" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

18:23, 12 सितम्बर 2018 के समय का अवतरण


हमरा लेल
अहाँक आँखि
बनि गेलए झील
हम बनि गेलहुँ हेलनिहार।

हमरा लेल
अहाँक चेहरा
बनि गेलए चान
हम बनि गेलहुँ चकोर।

हमरा लेल
अहाँक देह
बनि गेलइए फूल
हम बनि गेलहुँ भौंरा।

हमरा लेल
अहाँक आवाज
बनि गेलइए जलतरंग
हम बनि गेलहुँ संगीतकार।