भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
"पूँजी / ककबा करैए प्रेम / निशाकर" के अवतरणों में अंतर
Kavita Kosh से
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
18:42, 12 सितम्बर 2018 के समय का अवतरण
अहाँ
ओहि राति
हमर देह पर कयने रही
नखदेख
दशछेद
आइ धरि रहि गेलइए
ओकर चेन्ह।
अहाँ
आइ नहि छी
हमरा लग
चेन्ह अछि
चेन्हकें छुबै छी
चुम्मा लै छी
अहाँ मोन पड़ै छी।
अहाँक देल चेन्ह रहइए
हमरा लग
हमर प्रेमक पूँजी अछि
चेन्ह।