भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
"खबरि / गंग नहौन / निशाकर" के अवतरणों में अंतर
Kavita Kosh से
(' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
02:45, 19 सितम्बर 2018 के समय का अवतरण
गामक खास खबरियो
पहुँचि न´ि पबैछ महानगर धरि
महानगरक आम खबरियो
खास भऽ जाइछ गाममे
ओकर बादो
एक्के रंगक होइत अछि
तामस, साजिश आ हत्या
दुनू ठाम।
टंगघिच्ची कऽ
स्वयं आगाँ बढ़वा लेल
उताहुल रहैत अछि
लोक
दुनू ठाम।
जानि नहि खबरिमे
खास की, आम की?