भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"प्रकृति आ हम / एस. मनोज" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=एस. मनोज |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMaithiliRac...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

18:52, 25 जून 2019 के समय का अवतरण

हम प्रकृति क उजारि
बसा लेलहुँ शहर
आ आब ताकि रहल छी
पोखरि , माँछ,मखान ,धान
पीपरक छाँव
कोयलीक कूक
मंद शीतल पवन
बरखा बुन्नी
शीत बताश
बाढि आ सुखारक
प्राकृतिक उपचार।
प्रकृति सँ छेङछाड
जीवन सँ छेड़छाड थिक।
प्रकृति विनिष्ट भ जाएत
त जीवन विनष्ट भ जाएत
प्रकृति आ जीवन संगे रहत
निर्णय मनुखे क हाथ अछि
ओ प्रकृति क साथ रहत
वा ओकरा उजारत