भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"बोधगया / पंकज पराशर" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=पंकज पराशर |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMai...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

23:29, 16 जुलाई 2019 के समय का अवतरण

सारनाथ सँ घुरैत बुद्ध
जखन पार कयलनि गंगा
आ पहुँचलाह ओहि पार
तँ बाजल निषाद-
बोधगया केँ आब किछुओ बोध नहि

गया मे गयासुर
मगध मे अजातशत्रु
सब ठाम सबहक
संदेहे शत्रु

रोध मे चाहे ‘वि’ होइ
अथवा ‘अनु’ उपसर्ग
भंते,
सत्य इएह कि
बोधगया केँ आब किछुओ बोध नहि