भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"दरमाहा / दीप नारायण" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीप नारायण |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMai...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

00:32, 12 फ़रवरी 2021 के समय का अवतरण

चुल्ही निपेतैक
बरतन मजेतैक
पान चिबबैत हमहुँ
किछु काल बैसबै
बनियाँक दोकान पर

हाट सँ घुरल
पिताक झोड़ा मे रहतनि
नेना-भुटकाक लेल
फोंफी, झील्ली-मुरही, कचरी

खोंखैत छथि
कतेक दिन सँ माय!
आब आनि देबनि दबाइ

आइ सिंगार करती कनियों
दरमाहा आएल अछि!