भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"निर्लज्ज फागुन / दीपा मिश्रा" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCat...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

19:33, 15 अक्टूबर 2024 के समय का अवतरण

निर्लज्ज फागुन दुरूख्खामे बैसिके फाग गबैये
कहू त' हम कोना ओकर परिछन करी
नैहर सासुर दुनू अंगनाक मड़वा उदास अछि
कोन ठाम ओकरा लेल कतय पटिया ओछाबी!

बरख भरि सब ऋतु देहके छिलैत रहल
हरियर घाव एखनो ओहिना देखाइए
पुरबाक चोट ओकरा आरो बजबजा दैये
कोना सिमरक फूलक ओकरा पर मरहम लगाबी!

आँखिमे नोर भरने दुनू गोसाउनसँ नेहोरा करैत छी
आब बस ,जे अछि से कुशल रहे
एहि होरी कतौसँ काजर आनि
दुनू अंगनाकेँ डिठौना लगा दिए हे भगवती!

सहबाक सामर्थ्य आब जा रहल
एहन दिन ककरो नै देबै विधाता
फागुन हमरा फेर सोर पाड़ैये
हम नोर पोछैत उठिके दुआरि खोलि दैत छी
जे किछु भेल ताहिमे एकर कौन दोष!