भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"चुप्पी / दीपा मिश्रा" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCat...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

16:28, 19 अक्टूबर 2024 के समय का अवतरण

आइ अहाँ सब चुप छी
असकर बजैत बजैत संभव अछि
एक दिन हमहूँ चुप भ' जाएब

ओहुना एक दिसाह बजनिहार लेल
समाज बहुत रास शब्द अपन शब्दकोशमे भरने अछि
जाहिमे सबसँ प्रचलित 'बताह'

हमरो भ' सकैये अहाँ सब
आइ ने काल्हि बताहक
नामसँ पुरस्कृत करब
हम अपनाकेँ एखनेसँ चुप करबाक प्रयास शुरू क' देलौं

जल्दिए ओ भ' जाएत
किएक त' हम जे चाहैत छी
से हम करिते टा छी

हम चुप रहबाक
अनवरत प्रयास क' रहल छी
दूर मंदिरक घंटी सुनि हम
चौंकि जाइत छी

किओ चिचियाइत सुनैये
कतौ किओ देखा त' नै रहल
की अहाँके पता अछि?