भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"सगर राति दीप जरे / दीपा मिश्रा" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCat...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

16:28, 19 अक्टूबर 2024 के समय का अवतरण

जेना जेना भोरक ताराकेँ उगबाक समय आबि जाइए
हमर देह तेना तेना शिथिल होइत जाइए
इजोतक चरम धरि पहुँचलाक उपरांत एक दिस स्नेहक नेहक स्रोत सुखाइत जाइए
त' दोसर दिस मोनक बाती घटैत जाइए
हमर अपनहि इजोत हमरा चकाचौंध क' हमरहि अन्हार दिस ठेल दैये
थड़थड़ाइत हम भोरुकबा देखबाक आससँ भरल
अपनाकेँ मिझेबासँ बचेबाक प्रयास करैत छी
ज्ञानक पोथी चारूकात छिड़ियाएल अछि
हम सबटाकेँ समेटय चाहैत छी
मुदा काँपैत हाथसँ छूबासँ भय होइए जे कहिया धरि
ताबत जेना पोथी किछु कहैत बुझाइये
ओकर अवाज हमर भीतर जेना संचार करैये
'ई क्षणकेँ उपयोग क' ले
इजोत,अन्हार...मान,अपमान...मोह ,उपराग...देह... दुनिया चेतन,अचेतन कथू केर मोल नहि रहत
एक दिन त' सबकेँ मिझेबाक छै
तखैन तो किएक मोनकेँ छोट करैं छैं
ज्ञानक इजोत चारूकात पसरय
सगर राति हमर दीप जरय
सगर राति हमर दीप जरय'