भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"मनुख / दीपा मिश्रा" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCat...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

23:44, 19 अक्टूबर 2024 के समय का अवतरण

विश्वक मानचित्र लेने
हमर बेटी ताकि रहल
ओ सुरक्षित जगह
जतय हम सब जा सकी
ओ हमरा पुछैये एकटा देश देखा
कि एतय फूल हेतै,तितली हेतै,झरना हेतै, पहाड़ हेतै
नीक नीक मनुख हेतै
अन्य सब चीज द' हमरा बूझल
ओहि देशमे जे भेटतै ओकरा
मुदा नीक मनुख लेल
हम चुप्प भ' जाइत छी
ओकर माथ हसोंथि के
छातीसँ लगा लैत छी
दू ठोप नोर ओकर केश पर खसि पड़ैये
सोचैत छी
हमहूँ आब कतेक दिन मनुख रहि सकब
किएक ने गेलौं
युद्ध कखनो शुरू भ' सकैये