Changes

हमर आँखि / गंग नहौन / निशाकर

208 bytes removed, 21:01, 18 सितम्बर 2018
{{KKCatAngikaRachna}}
<poem>
हमरा देशमे
बढ़ि गेल अछि
कट्टरपंथी लोक
कट्टरपंथी संगठन
आ ओकर विचारक।
हमरा देशमे
बढ़ि गेल अछि
खादीक कुर्ता
लुप्त भऽ रहल अछि
गाँधीक विचार
बढ़ि रहल अछि
ब्लू फिल्मक चलन
जुअनके न´ि, बुढ़बो सभमे।
हमरा देशमेहम आँखिखुजि गेल उकेरैत अछिचित्रहत्याक चैनलमधुबनी पेन्टिंग जकाँ।शोणितसँ सानल हमर आँखिदेखैत अछिअखबारक पृष्ठफुलाएल फूलकेंबाजारवादक शोणिताएल चाँगुरमेओकर सौन्दर्यक परिवेशकें।सकपंज हमर आँखिनचैत अछिमहलसँ खोपड़ी धरि।देखि कऽ बरखाक दृश्यसोहाओन सन! हमर आँखिसँखसैत अछि नोरदेखि कऽ नरसंहारक खेलआ सामूहिक बलात्कारक करुण दृश्य।
</poem>
761
edits