Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:28

हमरा देशमे / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:28, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)



हमरा देशमे
बढ़ि गेल अछि
कट्टरपंथी लोक
कट्टरपंथी संगठन
आ ओकर विचारक।

हमरा देशमे
बढ़ि गेल अछि
खादीक कुर्ता
लुप्त भऽ रहल अछि
गाँधीक विचार
बढ़ि रहल अछि
ब्लू फिल्मक चलन
जुअनके न´ि, बुढ़बो सभमे।

हमरा देशमे
खुजि गेल अछि
हत्याक चैनल
शोणितसँ सानल अछि
अखबारक पृष्ठ
बाजारवादक शोणिताएल चाँगुरमे
सकपंज अछि
महलसँ खोपड़ी धरि।