भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

छीप पर रहओ नचैत / यात्री

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:16, 1 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=यात्री |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCatMaithiliRachna}} <...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

छीप पर रहओ नचैत
कनकाभ शिखा
उगिलैत रहओ स्निग्ध बाती
भरि रति मृदु-मृदु तरल ज्योति
नाचथु शलभ-समाज
उत्तेजित आबथु-जाथु
होएत हमर अंगराग हुतात्माक भस्म
सगौरव
सुप्रतिष्ठित हँसितहि हम रहबै
दीअठिक जड़िसँ के करत बेदखल हमरा
ने जानि, कहिया, कोन युगमे
भेटल छल वरदान
अकल्प हम रहब बइसल दीप देवताक कोरमे