भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

रामकृष्ण झा ‘किसुन’ / परिचय

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

नाम-श्री रामकृष्ण झा ‘किसुन’ पितृनाम -पंडित नागेश्वर झा (स्वर्गीय) जन्मतिथि - १ जनवरी १९२ ३ ई . योग्यता – नियमित विद्यालयी अध्ययन –संस्कृत व्याकरण तथा साहित्यिक | नियमित स्वाध्याय मुख्यतः हिंदी आ उर्दू साहित्यिक पछाति मैथिलिक |स्वतंत्र रुपे संस्कृत हिंदी आ मैथिलि परीक्षा सबमें सम्मिलित भऽ उपाधि सभक संग्रह,जे प्रवृति एखनधरि विद्यमान| क्रमबद्ध लेखानारम्भ – १९३७ सँ हिंदी में | प्रथम प्रकाशित रचना- 'कौन है वह ?' कविता,बालक (१९३९ ई ) १९४१ सँ मैथिली में| प्रथम प्रकाशित रचना ” शिशु सँ ” कविता,मिथिला मिहिर (१९४६ ई ) में प्रथम प्रकाशन -(पुस्तक) हिन्दी क “आओ गायें” बालोपयोगी कविता संग्रह (१९४९ ई) “इन्द्रधनुष “(१९५० ई) प्रौढ़ कविता संग्रह| मैथिलिक ‘आत्मनेपद ‘ कवितासंग्रह १९६३ ई में साहित्यिक निबंध निचय २. क्रमश: (कविता संग्रह ) ३. स्वयंवर (कथा संग्रह ) ४.समाज (उपन्यास) ५. विविधा(कथा-काव्य) तथा अनेक गद्य ,पद्य आदि संकलन | विशेष – कोशी दर्पण,चेतना ,सौरभ, प्रच्यप्रभा,स्कूल पत्रिका, संकल्प आदिक संपादन, पत्रकार आ विभिन्न सामाजिक , साहित्यिक आन्दोलन एवं संघटन सबसँ सम्बद्ध, साहित्य आ साहित्यकार दुहुक रचनामे संलग्न सम्प्रति विलियम्स बहुद्देशीय विद्यालयमें अध्यापन| वृत्ति- अध्यापन रूचि – पढ़यबु सँ बेसी पढ़बे me , एकांत चिंतन में ,भ्रमण, संगठन आ आयोग में|