भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

कहबामे असुविधा अछि / मार्कण्डेय प्रवासी

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

 
आइ मोनक बात कहबामे असुविधा अछि।
की कही, की नहि कही, से पैघ दुविधा अछि !!
सहसहाइछ साँ, गोजर,
भालु, बाघक दल
साँच अछि संग्राममे
अछि शान्तिमे छल-बल
साधना टा सिद्धि-यज्ञक आइ समिधा अछि !
आइ मोनक बात कहबामे असुविधा अछि !!
आइ झूठक तुला पर
सत जा रहल जोखल
कण्ठ प्रज्ञावान लोकक-
जा रहल मोकल
आइ संख्या-बलक सोझाँ मूक प्रतिभा अछि !
आइ मोनक बात कहबामे असुविधा अछि!!
अछि दधीचिक मार्ग पर
चलने बहुत संकट
स्वीकृतिक राधा रखैए
आइ खाली घट
आई अर्थविहीन भाषण मात्र कविता अछि !
आइ मेनाक बात कहबामे असुविधा अछि !!