भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

सभा पैसी जोही एक लएलनि / मैथिली

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सभा पैसी जोही एक लएलनि, कएलनी लेलिन बुढबा जमाएगे माई
बसहा चढल शिव डमरु बजाबथी, अगँ मे भस्म रमाये गे माई

अगँने अगँने शिव भीख मगै छथि, देहरी पर धुनिया रमाये गे माई
जटा देखी गौरी थर थर काँपथि, बिभुत देखी के डराई गे माई

सौतीन देखी गौरी मन मन सोचथि, किय लय करबै सुख विलास गे माई
जटा छैक गौरी सिरके लपेटब, से विभुत छैक, अहिबात गे माई