भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

छुतहर / काशीकान्त मिश्र 'मधुप'

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:44, 1 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=काशीकान्त मिश्र 'मधुप' |संग्रह= }} {{KK...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

अस्पृश्य भेलहुँ कै कोन पाप ?
मृत्तिका एक एके कुम्हार,
ओ दण्ड चक्र चीवर सम्हार।
आकार एक क्यों मंगल घट,
गौबरौड़ बनल हम सही ताप।।
जाहि मृगनयनिक कटि माथ उपर,
घुमलहुँ कतेक दिन रसनिर्झर।
से देखि दूर कहि दूर जाथि,
नहि जानि देल के एहन शाप ?
जे कुकुरौं कैं सुतधि पलंग,
पी मद्य विलोचन करथि रंग।
से देखि हमर मुख करथि घृणा;
दुर्भाग्यक पड़ि गेल केहन छाप ?
चढ़ि चाक प्रदक्षिण हरिक कएल,
आवामे तनकें हवन कएल।
फल तकर केहन विपरीत भेल,
झूठे थिक सबटा योग-जाप।।
घट-घटमे वासी ब्रह्म एक,
हो भान अविद्यासँ अनेक।
बुझितहुँ वेदान्ती हमर वारि।
अपवित्र कहथि क’ क’ प्रलाप।।
हो सदिखन संसारक सुधार,
पतितौक बनथि क्यो कर्णधार।
उद्धार सुधारकसँ न हमर,
ई सभ्य समाजक थिक प्रताप।।