भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

युग-वैषम्य / मायानन्द मिश्र

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:32, 2 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=मायानन्द मिश्र |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{K...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

कर्णक कवच-कुंडल जकाँ
हम अपन सम्पूर्ण योगाकांक्षा
परिस्थिति-विप्रकें दान द- देल
हमर बाप द्रोणाचर्य नहि रहथि
तथापि हम अश्वत्थाम छी।
वंचना हमर माय थिकी
जे कुण्ठाक दूध छोड़ि रहली अछि।