Last modified on 2 जुलाई 2014, at 20:23

सोचितपुर सौं आयल पालकी / मैथिली लोकगीत

Mani Gupta (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 20:23, 2 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह= बिय...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सोचितपुर सौं आयल पालकी
पालकी शोभय लाले लाल हे
पालकी के खुटरी धेने
ठाढ़ भेल बाबा सँ फल्लां बाबा
तिल एक डोली बिलमाउ हे
डोलि हम कोना बिलमायब यो बाबा
कनियां सुहबे के लगन अगुआयल हे
केशिया बन्हबइत हेती बटिया तकैत हेती
कखन आयत बरिआत हे
सब बरिअतिया के लाले लाल धोतिया
सभ के मुख पाकल पान हे