परिछन गीत / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

Anupama Pathak (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:57, 19 दिसम्बर 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शिव कुमार झा 'टिल्लू' |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

चलु-चलु कनियाँ अय नवकनियाँ लेल गाबी परिछन गीत
आनक बेटी एली सासुर
गदरायल देओर भैंसुर
हासक हरमुनियाँ ल' ससुर देखाबथि बापक सनक पिरीत
चलु-चलु कनियाँ अय नवकनियाँ लेल गाबी परिछन गीत ..
बहुआसिन मोन उदासे
नहि हुअनि मलान सभ आशे
भास बढाबू अय परकन्या केर मोन ने होमय तीत
चलु-चलु कनियाँ अय नवकनियाँ लेल गाबी परिछन गीत ..
नहि गारि ने ओलहन देबनि
अपनहुँ बेटीकेँ देख लेबनि
पहिल सगुन ई परिछन आत्म नेहसँ लिऔन हियाकेँ जीत
चलु-चलु कनियाँ अय नवकनियाँ लेल गाबी परिछन गीत ..
आशीष भविष्यक आशा
तखने पूरत प्रत्याशा
मरौत उघारिने देखू ग'र सटाक' मायक रूपमे मीत
चलु-चलु कनियाँ अय नवकनियाँ लेल गाबी परिछन गीत ..
नारी सिनेह सरोवरि
बदलामे भेंटत दोबरि
आँगन संगम थिक नहि गंगा नहि यमुना दुहूक जीत
चलु-चलु कनियाँ अय नवकनियाँ लेल गाबी परिछन गीत

इस पृष्ठ को बेहतर बनाने में मदद करें!

Keep track of this page and all changes to it.