भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आतंकी / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 00:24, 7 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

बाहर नहि
भीतर रहैत छैक
आतंकक जड़ि।

पहिने घृणाक आगि
भीतर पजरैत छैक
फेर बाहर भऽ जाइत छैक-
धधरा
करय लगैत छैक
नाश
आतंकी फेरि लैत अछि मुँह
निर्माणसँ
नाशकें ओ शस्त्र आ शास्त्र
बना लैत अछि।

हमरा प्रतीक्षा अछि
आतंकी कहिया बनौतैक निर्माणकें
अपन केन्द्रविन्दु
बाँटतैक
प्रेमक सनेस।