Last modified on 8 सितम्बर 2018, at 02:00

लोक / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:00, 8 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

शीत ऋतुमे
सुरुजक किरिन लगैत अछि अमृत
ग्रीष्म ऋतुमे
गाछक छाँह लगैत अछि अमृत
बरखा ऋतुमे
बुन्न लगैत अछि अमृत।

हमरा सभकें सचेत नहि रहलाक कारणें
प्रकृतिक भेल अछि ई दुर्दशा
घटि रहल अछि अमृत
दिनोदिन जगमे
बढ़ि रहल अछि बिख
बिख केर कोरामे आबि कऽ
बिखाह भेल जा रहम अछि
लोक।