भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
थेह / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:15, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
ओना तँ हम
एकसरिसयो पार कऽ सकै छी
संसार-सागर
मुदा,
अहाँक संग जँ भऽ जाय
बरखाक मौसममे
बोनमे नचैत
मयूर जकाँ
हमर मोन
मनाओत उछाही
लागत जेना भेंट गेल होअय
हमरा थेह
आ हम
अनुभव करी थेहगर।