भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
कन्यापूजन / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:34, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
लोक कन्यापूजन करैत अछि
कन्याकें भोजन करबैत अछि
पयर छुबैत अछि
दक्षिणा दैत अछि
मुदा,
दोसरे दिनसँ बिसरि जाइत अछि
अपन दायित्व
कन्याकें मारैत अछि
गारि पढ़ैत अछि
कन्या-भ्रूणक हत्या करैत अछि
बलात्कार आ सामूहिक बलात्कार करैत अछि।
कन्याकें पूजबाक नहि
ओकरा पढ़यबाक
गढ़बाक
आ, पोसबाक खगता अछि।