भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

केओ नहि / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:20, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज


कोइली कुहकैत अछि
सभ सुनैत अछि
मसोमात कुहकैत अछि
केओ नहि सुनैत अछि।

पात खसैत अछि
सभ देखैत अछि
बताहि खसैत अछि
केओ नहि देखैत अछि।

कुकुर भुकैत अछि
सभ सुनैत अछि
बौक भुकैत अछि
केओ नहि सुनैत अछि

पानि बढै़त अछि
सभ देखैत अछि
पानि घटैत अछि
केओ नहि देखैत अछि।

अएना चनकैत अछि
सभ सुनैत अछि
मोन चनकैत अछि
केओ नहि सुनैत अछि।