भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
बटोही / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:21, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
बटोही!
जिनगीक बाट
सरल सहज
आ निष्कंटक नहि होइत अछि
ओ
खूब घुमाओन होइत अछि
बाट केर
कठिन मेहनति
साहस
आ लगनसँ बनवऽ पड़ैत अछि
राजमार्ग।
नोर पोछनिहार
अहाँक संग बिताओल पलक स्मृति
अबइए
तँ मोन हमर
कोनादन करइए
नोर आँखिसँ खसइए
मुदा,
एकसरमे जाकऽ
कनै छी
अपन टघरल नोर
अपने पोछै छी।