Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:22

घर / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:22, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)



मनुक्ख
पहिने छल वनमानुख
रहैत छल जंगलमे
फेर गाछक छालसँ
झाँपै छल
नाँगट देह
तकर बाद
रौदीक ताप
जाड़क शीतलहरि
आ बरसातक पाथरसँ बचैक लेल
बनबऽ लागल
अपन घर।

खाली माटि आ पानिसँ न´ि
फूस आ बाँससँ न´ि
पजेबा आ सिमटीसँ न´ि
अपितु बाबकी दुलार
मायक ममता
पिताक अनुशासन
आ बुचियाक किलोलसँ
बनैछ घर।

जेना चानक प्रतीक्षामे
चकोर
ओहिना परदेशी पुत्रक प्रतीक्षामे
घर।