भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हमर आँखि / गंग नहौन / निशाकर

Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:31, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज




हम आँखि
उकेरैत अछि चित्र
मधुबनी पेन्टिंग जकाँ।

हमर आँखि
देखैत अछि
फुलाएल फूलकें
ओकर सौन्दर्यक परिवेशकें।

हमर आँखि
नचैत अछि
देखि कऽ बरखाक दृश्य
सोहाओन सन!

हमर आँखिसँ
खसैत अछि नोर
देखि कऽ नरसंहारक खेल
आ सामूहिक बलात्कारक करुण दृश्य।