भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
भूख / गंग नहौन / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:36, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
भूख होइत अछि भयाओन
पेटक आगि पजरैत छैक
तँ करैत अछि किछु लोक
देह, भिक्षा आ अपराधक बनियौटी
जकरा बुतें पार नहि लगैत छैक
ओ करैत अछि
सामूहिक आत्महत्या।
भूख खत्म करबाक घोषणा करैत अछि मंत्री
योजना बनबैत अछि ओकर सरकार
भुक्खल लोकक फोटो खिचैत अछि मीडिया
मुदा मंचे धरि रहैत अछि
मंत्रीक घोषणा
फाइले धरि रहैत अछि
सरकारक बनाओल योजना
आ प्रदर्शने धरि रहि जाइत अछि
मीडियाक खीचल फोटो।
मंत्री बदलैछ
पाटी बदलैछ
सरकार बदलैछ
मुदा भूख नहि बदलैछ
ओहिना जीबैत रहैछ
अपन भयावहताक संग।