Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:45

साहस / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:45, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)



गुजरातक घटनाकें
गौरव मानैछ कट्टरपंथी
निकालैछ गौरव यात्रा
बढ़बैछ अपन भोट।
दंगाक पोस्टमार्टम करैछ
नगर भरिक अखबार।

दंगाक
तापमे
झड़कैत अछि सोझमतिया लोक
नहि छैक ओकरा लग
छलक हथियार
बुद्धिक वाण
एखनहुं बांचल छैक ओकरामे
दंगाईसं
सामना करबाक साहस।