Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:46

बिछोह / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:46, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)



बसमे, रेलमे
बाटे-घाटे
सिनेमाघर आ अस्पतालमे भेटल लोक
बिछुड़ि जाइत अछि
छोड़ि जाइत अछि दुखित हमरा
फेर कहाँ भेटता
भेटता आकि नहि
केओ नहि जानैत अछि।

लगैत अछि नहि घुरत
बाटमे छुटि गेल मीता
नहि भेटल ओकर डायरी
टार्च, मोबाइल आ पासपोर्ट
नहि भेटल अछि कोनो खबरि
थानामे रिपोट लिखेलाक बादो
जागल नहि कोनो उमेद।

मेलामे हेरा गेलि छोट बहिन
परदेस कमाइ लेल गेल बड़का भाइ
आ सल्फासक गोटी खा कऽ मुइल पत्नी
मोन पड़ितहिं
आइयो धधकि उठैत अछि करेज।