भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
महाभारत / गंग नहौन / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:52, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
एक दिन
छाउर भऽ जएतै ओकर देह
मिझरा जायति माटिमे
तैयो
चमकैत रहतै आकर स्मृति
बिजुरी बनि हमरा मोनमे।
आशिकीक रंग मद्धिम नहि होएतैक
कहियो
आशिकीक रंग मद्धिम नहि होएतैक
कहियो
आशिकी खतम नहि होएतैक
हमहूँ
कालसँ लड़ैत रहबै
लथ-पथ होइत रहबै।
माछ
मखान
आ पान
एहन कोनो बात नहि।