भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

बोधगया / पंकज पराशर

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:29, 16 जुलाई 2019 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=पंकज पराशर |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMai...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

सारनाथ सँ घुरैत बुद्ध
जखन पार कयलनि गंगा
आ पहुँचलाह ओहि पार
तँ बाजल निषाद-
बोधगया केँ आब किछुओ बोध नहि

गया मे गयासुर
मगध मे अजातशत्रु
सब ठाम सबहक
संदेहे शत्रु

रोध मे चाहे ‘वि’ होइ
अथवा ‘अनु’ उपसर्ग
भंते,
सत्य इएह कि
बोधगया केँ आब किछुओ बोध नहि