भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

जिनगी भरि हम कनैत रहलहुँ / बाबा बैद्यनाथ झा

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 00:51, 27 अक्टूबर 2019 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=बाबा बैद्यनाथ झा |अनुवादक= |संग्र...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

जिनगी भरि हम कनैत रहलहुँ
जुल्म अहाँक सभ सहैत रहलहुँ

नारीक रूपमे जनम लेल तेँ
कठपुतरी बनि नचैत रहलँहु

देखि हमर हालतिकेँ अपने
खुलि-खुलि खूब हँसैत रहलहुँ

त्याग, दयाकेर मूर्ति बनल हम
मोमबत्ती सन जरैत रहलहुँ

तामस नहि भड़कय अपने केर
एहि डरसँ हम डरैत रहलहुँ

आश्वासनकेर बोल जहर सन
अहाँ कहैत हम सुनैत रहलहुँ

केहनो योग्य बनी तइयो हम
तिलक वेदी पर चढ़ैत रहलहुँ

ककरा लग दुःख प्रगट करू हम
तिल-तिल कऽ तेँ गलैत रहलहुँ

लऽ कोदारि अपनहि हाथेऽ हम
कब्र अपन कियै खुनैत रहलहुँ

भऽ निराश हम एहि जिनगीसँ
मौतक दिन नित गनैत रह लहुँ